बसैठ हाई स्कुल के एही दुर्दशाक जिम्मेवार के ?
चेतावनी... हरियाणा के रेवाड़ी में छात्र हित लेल भेल लड़की सबके आंदोलन स सिख लेबाक आ गलती सुधारबाक मौका आब हमर जनप्रतिनिधि, विधायक, सांसद, विधान पार्षद आ समाजसेवी, ठेकेदार लोकैन के छैन.
इ खंडहर विश्वप्रसिद्ध योगगुरु धीरेंद्र चौधरी उर्फ ब्रह्मचारी, शिक्षाविद विधान पार्षद डॉ. नीलांबर चौधरी, प्रख्यात शिक्षाविद आ समाजसेवी डॉ. संत कुमार चौधरी आ वर्त्तमान में दरभंगा स्नातक क्षेत्र स कांग्रेस एमएलसी डॉ. दिलीप कुमार चौधरी जी के पैतृक गाम बसैठ के (+2) हाई-स्कूल के यई. इ खंडहर (+2) हाई-स्कूल बिहार के पूर्व शिक्षा मंत्री स्व. युगेश्वर झा के विधान सभा क्षेत्र के यई. इ खंडहर (+2) हाई-स्कूल मधुबनी स सांसद हुकुमदेव नारायण यादव, विधान पार्षद विनोद नारायण झा, विधान पार्षद सुमन कुमार महासेठ आ बेनीपट्टी विधायक भावना झा के क्षेत्र के यई.

बेनीपट्टी मुख्यालय स 13 किलोमीटर दूरी पर स्थित बसैठ के प्रखंड के दर्जा दियेबाक लेल मांग उठैत रहला. जे की मात्र राजनीतिक महत्वाकांक्षा के लेल रहल, जाहि के परिणाम यई जे अखन तक प्रखण्ड निर्माण के मांग करs वला ठेकेदार सबके दरबज्जा स इ मांग आगा नय बढ़ला. एक दशक पूर्व में दरभंगा स्नातक क्षेत्र स विधान पार्षद स्व. डॉ. नीलांबर चौधरी जी के समय मे भी प्रखंड के दर्जा दियेबाक मांग जोर पकड़ने रहा. लेकीन हुनक मरणोपरांत इ मांग शिथिल पड़ी गेल. बसैठ में राजनीतिक ध्रुवीकरण अतेक हावी छय जे वर्तमान में प्रखंड निर्माण के मांग त दूर के गप्प अखन तक बसैठ हाई स्कूल (+2) में सुविधा के नाम पर सिर्फ खंडहर मकान छय. इ स्कूल में भवन निर्माण, नियमित वर्ग संचालन आ शिक्षक पदस्थापन लेल शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी स ल कs सांसद, विधायक, विधान पार्षद तक के कतेक बेर आवेदन देल गेलय, लेकिन अखन तक कोनो ठोस पहल नय कैल गेल. अखन स्कूल में 1400 छात्र-छात्रा नामांकित छैथ आ स्कूल में एगो चापाकल और शोचालय के समुचित व्यवस्था नय यई. जबकि लड़का और लड़की लेल अलग अलग शौचालय आ चापाकल के प्रावधान छय. अखन तक स्कूल में किरानी, चपरासी और शिक्षक के बहाली जरूरत मुताबिक नय भेल छय. जहिया कहियो बरामदा पर वर्ग संचालन हेबो करय छय त ओहि दिन विद्यार्थी सब के ही मज़बूरन चपरासी के काज करs परय छैन छैथ. एहन व्यवस्था में केहन शिक्षा के अपेक्षा कयल जा सकय छय से सोचनीय गप्प छय. आ शर्मिंदगी के विषय भी यई जे अखन तक एहि के जिम्मेवार प्रतिनिधि सब निकम्मापन स बाहर नय नीकईल क अपन कर्तव्य स मुंह फेर रहल छैथ.
इ विडम्बना नय त ओर की जे विश्वप्रसिद्ध योगगुरु धीरेंद्र चौधरी उर्फ ब्रह्मचारी, शिक्षाविद विधान पार्षद डॉ. नीलांबर चौधरी, प्रख्यात शिक्षाविद आ समाजसेवी डॉ. संत कुमार चौधरी आ वर्त्तमान में दरभंगा स्नातक क्षेत्र स कांग्रेस एमएलसी डॉ. दिलीप कुमार चौधरी जी के पैतृक गामक हाई स्कूल (+2) के एहन दुर्दशा यई.


0 Comments:
Post a Comment