समाज के ठेकेदार सबके संबोधित संगहि युवा साथी सबसs आह्वान

बिहार में एहन हज़ारों स्कूल अईछ जता बिना मास्टर के पढ़ाई होई या.. इ स्कुल बेनीपट्टी के जरैल गाम के छय.. जाहि स्कुल में पहला स 10वीं तक के पढ़ाई के स्वीकृति भेटल छय... जे की पूर्व में सिर्फ पहला स 8वां तक रहय, लेकिन दुर्भाग्य इ जे इ स्कुल में नामांकित 9वीं और 10वीं के छात्र-छात्रा सबके एको टा क्लास नसीब नय भ पाबय छय... कारण इ जे बिहार सरकार, शिक्षा विभाग अधिकांश मध्य विद्यालय में 9वीं और 10वीं के पढ़ाई के स्वीकृति द क वाहवाही त लुइट लेलैथ लेकिन ओहि स्कुल में आय तक 9वीं 10वीं के छात्र सबके लेल शिक्षक नय बहाल केलक... एहन में एही पढ़ाई स छात्र सब सs की अपेक्षा कयल जा सकय या...?? एहन पढ़ाई स केहन भविष्य बनत...?? कमोबेश इ हाल हर गांव, हर पंचायत के यई।
एकर जिम्मेवार वैह ज्ञान बांट वला मानुख सब छि जे गामक चाय और पान दुकान पर बैस क 5 रुपैया के चाय और 6 रुपैया के पान खा क लाखों-करोड़ों के बात करय छि... मुदा अपन घर, अपन गामक एही तरहक बदहाली पर कल्ला नय अलगय या.. वैह ज्ञान बांटनिहार आदमी मैट्रिक और इंटर के रिजल्ट ऐला के बाद चौक पर पेपर ल क बैसता और मुंह में पान तमाकू ध कs चिकईर क बजता जे फलांमा के बेटा फेल भ गेलय... फलांमा के बेटी फेल क गेलय... लेकिन वो ज्ञानी कथावाचक इ नय सोचय छैथ जे एही के जिम्मेवार कहीं ना कहीं ओहो छैथ.. जहन वो हमर रिजल्ट के बाद हमर गार्जियन बनी करिजल्ट स हमर मूल्याङ्कन करय छैथ त हुनको इहो सोचबाक चाही जे हम गामक अभिभावक भ क भी गामक बच्चा सब लेल की केलउं...?? आखिर हमर बच्चा कियाक फेल भेल..??
सब युवा स आह्वान करय छि... अपन अधिकार लेल क्रांति करू... अहांक भविष्य अहिं के हाथ में यई.. अपन भविष्य अपने निर्माण करू... जे ज्ञानी वक्ता ज्ञान बंटैत छैथ हुनका बांटs दियोन.. गाम समाज के ठेकेदार सबके बिना परवाह केने आवाज उठाऊ... एकटा प्रयास क क देखियउ... विलंब स ही सही, लेकिन समाज बदलतय !!
मरबाक त एनाहुतो छय... किछ बदलाव क क कियाक नय मरी !! अपन अधिकार लेल #क्रांति कियाक नय करी...
0 Comments:
Post a Comment